भारतक स्वास्थ्य-व्यवस्थाक आगाँ आइ एकटा विचित्र विरोधाभास अछि। एक दिस देशमे मेडिकल कॉलेज, एमबीबीएस आ स्नातकोत्तर चिकित्सा-शिक्षाक सीट लगातार बढ़ि रहल अछि; दोसर दिस ग्रामीण स्वास्थ्यकेन्द्र आ जिला अस्पतालमे विशेषज्ञ डॉक्टरक भारी कमी बनल अछि। कतेको एहन अस्पताल अछि जतय प्रसव करयवाली महिलाकेँ समय पर स्त्री एवं प्रसूति रोग विशेषज्ञ नहि भेटैत छथि, गम्भीर दुर्घटनाक मरीजकेँ शल्य-चिकित्सक लेल दोसर अस्पताल भेजय पड़ैत अछि आ बच्चाक गम्भीर बीमारीमे बाल-रोग विशेषज्ञ उपलब्ध नहि रहैत छथि। एहन स्थिति खाली सरकारी आँकड़ाक विषय नहि, बल्कि आम लोकक जीवन, स्वास्थ्य आ परिवारक सुरक्षा सँ जुड़ल प्रश्न अछि। एहि समस्याक समाधान पर विचार करैत National Board of Examinations Journal of Medical Sciences मे प्रकाशित प्रो० मीनू बाजपई(एक्स-डीन एकेडमिक्स एम्स-दिल्ली, वाइस प्रेसिडेंट एनबीईएमएस) आ डॉ० अभिजात सेठ (चेयरमेन-एनएमसी, प्रेसिडेंट-एनबीईएमएस) के सम्पादकीय भारतमे एकटा नव व्यवस्था ‘Grandfather Programme’ के संस्थागत रूपसँ शुरू करबाक प्रस्ताव रखैत अछि। एहि प्रस्तावक मूल भावना ई अछि जे, जे डॉक्टर सालोंसालसँ व्यवहारमे विशेषज्ञ स्तरक काज कऽ रहल छथि, हुनकर अनुभव आ क्षमता केँ एकटा कठोर, पारदर्शी आ राष्ट्रीय मूल्यांकनक माध्यमे औपचारिक मान्यता देबाक बाट खोलल जाए।
स्वास्थ्य-व्यवस्थाक मजबूती अस्पतालक भवन, बेड, मशीन आ दवाइ संगे प्रशिक्षित डॉक्टर, नर्स, तकनीशियन आ अन्य स्वास्थ्यकर्मी सेहो आवश्यक छथि। खास कऽ सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र (CHC) ग्रामीण स्वास्थ्य-व्यवस्थाक महत्वपूर्ण कड़ी थिक। एतय सामान्य उपचारक अतिरिक्त प्रसव, शल्य-चिकित्सा, बाल-स्वास्थ्य आ आन्तरिक रोगसभक विशेषज्ञ सेवा अपेक्षित रहैत अछि। भारत सरकारक Health Dynamics of India 2022-23 रिपोर्टक अनुसार 31 मार्च 2023 तक देशक ग्रामीण क्षेत्रमे 5,491 सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र कार्यरत छल। निर्धारित मानकक अनुसार एतय चारि तरहक विशेषज्ञ अर्थात सर्जन, स्त्री एवं प्रसूति रोग विशेषज्ञ, फिजिशियन आ बाल-रोग विशेषज्ञक कुल 21,964 पदक आवश्यकता छल। मुदा ओहि समय वास्तविक रूपसँ उपलब्ध विशेषज्ञक संख्या मात्र 4,413 छल। अर्थात् आवश्यकताक तुलना मे लगभग 79.9 प्रतिशत कमी।
एहि आँकड़ाकेँ बुझबाक लेल एकटा साधारण उदाहरण पर्याप्त अछि। मानि लिअ, कोनो प्रखण्डक सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्रमे एकटा महिलाकेँ प्रसवक समय गम्भीर जटिलता भऽ जाइत अछि। अस्पतालमे भवन अछि, बेड अछि, ऑपरेशनक सुविधा सेहो अछि, मुदा प्रशिक्षित विशेषज्ञ नहि छथि। एहन स्थिति मे मरीजकेँ जिला अस्पताल वा शहर दिस भेजल जा सकैत अछि। मुदा दूरी, खराब सड़क, एम्बुलेन्सक अनुपलब्धता आ समयक कमी कतेको बेर उपचारमे बाधा बनैत अछि। तखन अस्पतालक भवन रहितो आवश्यक सेवा उपलब्ध नहि होइत अछि। विशेषज्ञक कमी खास कऽ ग्रामीण, दूरदराज आ कम सुविधा वाला इलाकामे स्वास्थ्य-सेवाक समानताकेँ प्रभावित करैत अछि।
एहि ठाम एकटा दोसर आँकड़ा सेहो ध्यान देबाक योग्य अछि। फरवरी 2026 मे स्वास्थ्य मंत्रालय संसदमे जानकारी देलक जे देशमे 13.88 लाख पंजीकृत एलोपैथिक डॉक्टर आ 7.51 लाख पंजीकृत आयुष चिकित्सक छथि। सरकार दुनू प्रणालीक पंजीकृत डॉक्टरमे 80 प्रतिशत सक्रिय उपलब्धता मानि देशक डॉक्टर-जनसंख्या अनुपात लगभग 1:811 अनुमानित कयलक। मुदा ई राष्ट्रीय औसत अछि आ एहिमे आयुष चिकित्सक सेहो शामिल छथि। एहि अनुपातसँ ई निष्कर्ष नहि निकालल जा सकैत अछि जे प्रत्येक जिला वा ग्रामीण स्वास्थ्यकेन्द्रमे पर्याप्त संख्या मे विशेषज्ञ उपलब्ध छथि। डॉक्टरक कुल संख्या आ विशेषज्ञक भौगोलिक उपलब्धता दू अलग-अलग प्रश्न थिक।
खाली मेडिकल कॉलेज आ पीजी सीट बढ़ेनाइ पर्याप्त नहि : पिछला किछु वर्षमे भारत मेडिकल कॉलेज आ स्नातकोत्तर सीट बढ़ेबाक दिशा मे महत्वपूर्ण प्रयास कएने अछि। ई आवश्यक कदम अछि, किएक तँ देशक बढ़ैत आबादी, बदलैत बीमारीक स्वरूप आ आधुनिक चिकित्सा-पद्धति लेल बेसी प्रशिक्षित डॉक्टरक आवश्यकता अछि। NBEMS सेहो अपन DNB/DrNB आ पोस्ट-एमबीबीएस डिप्लोमा कार्यक्रमक माध्यमे मेडिकल कॉलेजक अतिरिक्त अस्पताल-आधारित चिकित्सा-शिक्षाक अवसर बढ़ेबाक प्रयास करैत रहल अछि। एहि व्यवस्थासँ जिला आ अन्य अस्पताल सभमे प्रशिक्षणक संभावना विकसित होइत अछि।
मुदा विशेषज्ञ तैयार करबाक प्रक्रिया समय लैत अछि। एमबीबीएसक बाद स्नातकोत्तर प्रशिक्षण पूरा करबाक लेल सामान्यतः किछु वर्ष लगैत अछि। तकर बाद प्रशिक्षित विशेषज्ञक नियुक्ति, सेवा-व्यवस्था आ ग्रामीण क्षेत्रमे टिकबाक प्रश्न अबैत अछि। आइ जे पीजी सीट बढ़ाओल जा रहल अछि, ओकर पूरा प्रभाव ग्रामीण स्वास्थ्यकेन्द्र धरि पहुँचय मे समय लागत। दोसर दिस, नव प्रशिक्षित विशेषज्ञमे सँ बहुतो लोक शहर, बड़का अस्पताल आ बेहतर संसाधन वाला संस्थानमे काज करबाक विकल्प चुनैत छथि। एहि कारण खाली प्रशिक्षण-सीट बढ़ेबाक उपायसँ ग्रामीण क्षेत्रक तात्कालिक कमी पूरा होयब कठिन अछि।
अनुभव आ औपचारिक योग्यता: दुनू के महत्व - अपना सभकेँ ई मानय पड़त जे चिकित्सा-कौशल विकसित होयबाक एकमात्र बाट कॉलेजक निर्धारित प्रशिक्षण नहि अछि। किछु डॉक्टर एमबीबीएसक बाद सालोंसँ जिला अस्पताल, सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र वा अन्य सरकारी अस्पतालमे काज करैत छथि। कोनो डॉक्टर लम्बा समयसँ एनेस्थीसिया देबाक व्यवहारिक अनुभव अर्जित कएने छथि; कोनो डिप्लोमा धारक प्रसव-कक्षमे नियमित रूपसँ कठिन स्थिति सम्हारैत छथि; कोनो सामान्य सर्जन अपन प्रयाससँ लैप्रोस्कोपी वा प्वाइंट-ऑफ-केयर अल्ट्रासाउंड सन तकनीक सीखने छथि। हुनकर सेवा बिना स्थानीय अस्पतालक काजक कल्पना करबो कठिन भऽ सकैत अछि।
मुदा एकटा समस्या अछि। व्यवहारमे कठिन काज करबाक जिम्मेदारी निभेलाक बादो हुनकर पद, वेतन, पदोन्नति आ प्रशासनिक मान्यता ओहि स्तर पर नहि होइत अछि जे एकटा औपचारिक विशेषज्ञ डिग्रीधारी डॉक्टरकेँ भेटैत अछि। कतेको बेर हुनकर वास्तविक क्षमता केकरो औपचारिक मूल्यांकनक विषय सेहो नहि बनैत अछि। तखन एकटा प्रश्न उठैत अछि-की एहन अनुभवकेँ खाली एहि कारण अनदेखा कयल जाए जे ओकरा पारम्परिक स्नातकोत्तर प्रशिक्षणक प्रमाणपत्र नहि भेटल अछि? आ दोसर दिस, की खाली सालोंसँ काज करबाक आधार पर कोनो व्यक्ति केँ विशेषज्ञ घोषित कयल जा सकैत अछि? दुनू प्रश्नक उत्तर संतुलित होयबाक चाही। अनुभव महत्वपूर्ण अछि, मुदा मरीजक सुरक्षा लेल ओकर वस्तुनिष्ठ परीक्षण सेहो अनिवार्य अछि।
की अछि ‘Grandfather Programme’? : चिकित्सा-शिक्षाक सन्दर्भमे एकर आशय अछिजे, जाहि समय मे कोनो विशेषज्ञता क्षेत्रमे नियमित प्रशिक्षणक व्यवस्था विकसित होइत अछि, ताहि समय पहिनेसँ ओहि क्षेत्रमे काज कऽ रहल अनुभवी डॉक्टर सभकेँ एकटा सीमित अवधि लेल विशेष मूल्यांकनक अवसर देल जाए। एहि अवसरक उद्देश्य हुनका सभकेँ बिना परीक्षा विशेषज्ञ घोषित करब नहि, बल्कि हुनकर अर्जित ज्ञान, कौशल आ व्यवहारिक अनुभवकेँ राष्ट्रीय मानक पर परखब अछि।
एहि तरहक व्यवस्थाक आवश्यकता ओहि समय बेसी महसूस होइत अछि जखन कोनो नया विशेषज्ञता वा तकनीक चिकित्सा-व्यवस्थामे तेजी सँ प्रवेश करैत अछि। औपचारिक पाठ्यक्रम आ मान्यता-प्रणाली बनेबाक पूर्वे किछु डॉक्टर ओहि क्षेत्रमे व्यवहारिक अनुभव हासिल कऽ लैत छथि। जँ हुनकर क्षमता सही ढंगसँ प्रमाणित कयल जा सकय, तँ स्वास्थ्य-व्यवस्था हुनकर अनुभवक उपयोग कऽ सकैत अछि। एहि प्रक्रिया सँ एक दिस अनुभवी डॉक्टरकेँ मान्यता भेटतनि आ दोसर दिस मरीजकेँ एहन चिकित्सकक सेवा भेटबाक संभावना बढ़त जिनकर क्षमता राष्ट्रीय परीक्षा आ मूल्यांकनक माध्यमे प्रमाणित भेल होय।
भारत लेल प्रस्तावित कार्यक्रमक तीनटा रास्ता : सम्पादकीयमे भारत लेल एहि कार्यक्रमक तीनटा सम्भावित श्रेणी प्रस्तावित कयल गेल अछि। पहिल श्रेणी ओहि एमबीबीएस डॉक्टर सभ लेल अछि जे एनेस्थीसिया, प्रसूति एवं स्त्री-रोग, बाल-रोग, सर्जरी, मेडिसिन वा आपातकालीन चिकित्सा जेकाँ कमी वाला क्षेत्रमे लम्बा समयसँ पूर्णकालिक काज कऽ रहल छथि। लेखमे लगभग पाँच वर्षक सत्यापित अनुभव आ कार्यक विवरण-पुस्तिका (Logbook) जेकाँ प्रमाणक आधार पर आवेदनक संभावना सुझाओल गेल अछि। मुदा खाली अनुभव-वर्ष पूरा होयब पर्याप्त नहि होयत। उम्मीदवारकेँ ज्ञान, व्यावहारिक कौशल आ नैदानिक निर्णय-क्षमताक परीक्षा देबय पड़तनि।
दोसर श्रेणी ओहि डॉक्टर सभ लेल अछि जे दू वर्षक डिप्लोमा प्राप्त कयने छथि आ ओहि विषयमे कतेको वर्षक अतिरिक्त अनुभव सेहो अर्जित कयने छथि। हुनका सभक क्षमता परखि कऽ निर्धारित मानक पूरा करबाक स्थिति मे संबंधित विषयमे पूर्ण विशेषज्ञ मान्यता देबाक बाट पर विचार कयल जा सकैत अछि। एहि प्रस्तावक उद्देश्य डिप्लोमा धारकक अनुभवकेँ मान्यता देब अछि, मुदा ई मान्यता सेहो खाली परीक्षा आ प्रमाणिक मूल्यांकनक बादे संभव होयत।
तेसर श्रेणी नव विकसित होइत चिकित्सा-कौशल लेल अछि। आइ रोबोटिक सर्जरी, इंटरवेंशनल प्रक्रिया, क्रिटिकल केयर, प्वाइंट-ऑफ-केयर अल्ट्रासाउंड आ कृत्रिम बुद्धिमत्ता आधारित निदान चिकित्सा-क्षेत्रमे तेजी सँ उपयोग भऽ रहल अछि। कतेको अनुभवी विशेषज्ञ डॉक्टर प्रशिक्षण कार्यशाला, अस्पताल-आधारित अभ्यास वा अन्य मान्य कार्यक्रमक माध्यमे एहि कौशलकेँ सीखैत छथि। मुदा हुनका सभक कौशलक लेल एकरूप राष्ट्रीय प्रमाणन उपलब्ध नहि रहैत अछि। एहन स्थिति मे निर्धारित स्तरक मूल्यांकनक बाद विशेष कौशलक प्रमाणपत्र देबाक व्यवस्था विकसित कयल जा सकैत अछि। ई प्रमाणपत्र सामान्य विशेषज्ञता डिग्रीक विकल्प नहि, बल्कि ओहि विशेषज्ञताक भीतर कोनो विशिष्ट कौशलक मान्यता होयत।
एहि कार्यक्रमक सफलता एहि बात पर निर्भर करत जे मूल्यांकन कतेक निष्पक्ष आ कठोर अछि। सम्पादकीयमे एहन प्रक्रिया प्रस्तावित अछि जाहिमे उम्मीदवारक केस आ प्रक्रिया सभक सत्यापित विवरण-पुस्तिका, DNB स्तरक कम्प्यूटर आधारित ज्ञान-परीक्षा, अपन अस्पतालमे प्रशिक्षित मूल्यांकनकर्ता द्वारा कार्यस्थल-आधारित परीक्षण आ अन्तमे संरचित नैदानिक परीक्षा शामिल हो। अर्थात् डॉक्टरकेँ खाली लिखित प्रश्नक उत्तर देबाक नहि, बल्कि वास्तविक मरीजक परिस्थिति मे अपन निर्णय, कौशल, संवाद आ सुरक्षा-संबंधी व्यवहार सेहो देखय पड़तनि।
मरीजक निजता आ अभिलेखक विश्वसनीयता सेहो बहुत महत्वपूर्ण अछि। केस लॉगबुक पर विभागाध्यक्ष वा अधिकृत अधिकारीक हस्ताक्षर हो, किछु अभिलेखक आकस्मिक जाँच हो आ गलत जानकारी देबाक स्थिति मे अनुशासनात्मक कार्रवाईक स्पष्ट प्रावधान हो। एतय एकटा सिद्धान्त स्पष्ट रहबाक चाही-अनुभव वर्षक संख्या पात्रता देबाक एकटा प्रारम्भिक आधार भऽ सकैत अछि, मुदा विशेषज्ञ मान्यता देबाक अंतिम आधार क्षमता होयत। जँ उम्मीदवार आवश्यक मानक पूरा नहि करैत छथि तँ हुनका प्रमाणपत्र नहि भेटबाक चाही। एहि परीक्षामे पास करबाक मानक ओतबे कठोर होय जे नियमित प्रशिक्षण प्राप्त विशेषज्ञ डॉक्टर लेल निर्धारित अछि। कार्यक्रमक प्रत्येक चरणक परिणाम आ पास प्रतिशत सार्वजनिक कयल जाए, जाहिसँ चिकित्सा-जगत आ आम जनता दुनू एकर गुणवत्ताक मूल्यांकन कऽ सकथि।
एहि तरहक व्यवस्था खाली भारतक लेल नव विचार नहि अछि। अमेरिका मे आपातकालीन चिकित्सा एकटा स्वतंत्र विशेषज्ञता रूपमे विकसित होइत काल ओहि डॉक्टर सभ लेल ‘Practice Track’ राखल गेल छल जे पहिनेसँ आपातकालीन सेवा दैत छलाह, मुदा ओहि समय औपचारिक रेजिडेंसी प्रशिक्षणक व्यवस्था सीमित छल। American Board of Emergency Medicine (ABEM) 1979 मे विशेषज्ञता मान्यता शुरू कयलक। अभ्यासक आधार पर प्रमाणनक बाट 1988 धरि खुलल रहल, तकर बाद नियमित मान्यता लेल स्वीकृत रेजिडेंसी प्रशिक्षण आवश्यक कऽ देल गेल। एहि उदाहरणसँ ई शिक्षा भेटैत अछि जे अनुभव आधारित बाट संक्रमणकालीन होयबाक चाही, स्थायी समानांतर व्यवस्था नहि।
अमेरिकाक Hospice and Palliative Medicine क्षेत्रमे सेहो 2008, 2010 आ 2012 केर परीक्षा-चक्र लेल Practice Pathway उपलब्ध छल। 2012 केर बाद एहि रास्ताकेँ बन्द कऽ देल गेल आ नव उम्मीदवार सभक लेल निर्धारित प्रशिक्षण पूरा करब अनिवार्य बनल। यूनाइटेड किंगडममे 30 नवम्बर 2023 सँ GMC केर Portfolio Pathway लागू भेल, जाहिमे ओ डॉक्टर जे GMC-अनुमोदित प्रशिक्षण कार्यक्रम पूरा नहि कएने छथि, अपन ज्ञान, कौशल आ अनुभवक प्रमाण प्रस्तुत कऽ विशेषज्ञ वा जनरल प्रैक्टिस रजिस्टरमे स्थान पाबय लेल आवेदन कऽ सकैत छथि। एतय ध्यान देबाक बात अछि जे यूकेक Portfolio Pathway भारतक प्रस्तावित कार्यक्रमक हूबहू प्रतिरूप नहि अछि, मुदा ई देखबैत अछि जे निर्धारित परिणाम आ कौशलक आधार पर वैकल्पिक विशेषज्ञ-पंजीकरणक व्यवस्था संभव अछि।
भारतमे राष्ट्रीय आयुर्विज्ञान आयोग (NMC) द्वारा 2025 मे अधिसूचित Medical Institutions (Qualifications of Faculty) Regulations सेहो अनुभवी डॉक्टरक क्षमता आ अनुभवकेँ किछु सीमा धरि मान्यता दैत अछि। एहि विनियमक अनुसार स्नातकोत्तर डिग्रीधारी गैर-शिक्षण सलाहकार, विशेषज्ञ वा मेडिकल ऑफिसर, जे कम-से-कम 220 बेड वाला सरकारी अस्पतालमे दू वर्षक अनुभव रखैत छथि, वरिष्ठ रेजिडेन्सी पूरा कयने बिना सहायक प्रोफेसर पद लेल पात्र भऽ सकैत छथि। एसोसिएट प्रोफेसर पद लेल एहन सरकारी अस्पतालमे दस वर्षक अनुभवक अलग प्रावधान अछि। मुदा ई नियम मेडिकल कॉलेजमे शिक्षक नियुक्ति-सँ संबंधित अछि; ई अपने-आपमे विशेषज्ञ चिकित्सकक स्वतंत्र मान्यता वा पंजीकरणक कार्यक्रम नहि थिक।
गुणवत्ता आ मरीजक सुरक्षा पर कोनो समझौता नहि : Grandfather Programme पर एकटा स्वाभाविक आपत्ति उठि सकैत अछि जे जँ बिना नियमित पीजी प्रशिक्षणक डॉक्टरकेँ विशेषज्ञ मान्यता देल जाएत तँ मेडिकल रेजिडेन्सीक महत्व कम भऽ जायत। ई चिन्ता उचित अछि। नियमित स्नातकोत्तर प्रशिक्षण चिकित्सा-शिक्षाक मुख्य आ मानक बाट बनल रहबाक चाही। अनुभव आधारित मान्यता ओकर विकल्प नहि, बल्कि सीमित संक्रमणकालीन व्यवस्था होय। एहि लेल समान पाठ्यक्रम-परिणाम, समान परीक्षा-स्तर, सत्यापित अनुभव, निष्पक्ष मूल्यांकन आ प्रमाणपत्रक स्पष्ट कार्यक्षेत्र निर्धारित कयल जाए। कोनो उम्मीदवार खाली अनुभवक आधार पर ओहि प्रक्रिया वा उपचारक विशेषज्ञ नहि बनि सकैत छथि जाहि मे हुनकर दक्षता प्रमाणित नहि भेल हो।
एहि कार्यक्रममे मान्यता प्राप्त डॉक्टरक पेशेवर जिम्मेदारी सेहो स्पष्ट होयबाक चाही। लगातार चिकित्सा-शिक्षा, कौशल अद्यतन, नैतिक आचरण, मरीजक सुरक्षा आ आवश्यकतानुसार विशेषज्ञ केन्द्रसँ परामर्श लेल बाध्यता रहबाक चाही। नव तकनीकक क्षेत्रमे तऽ प्रमाणपत्रक समय-सीमा, पुनर्मूल्यांकन आ कार्यक सीमा सेहो निर्धारित कयल जा सकैत अछि। एहि तरहें मान्यता खाली उपाधि नहि, बल्कि जवाबदेहीक संग जुड़ल पेशेवर प्रमाण बनत।
ग्रामीण अस्पतालमे विशेषज्ञ टिकताह कोना? : विशेषज्ञ मान्यता देलासँ मात्र ग्रामीण स्वास्थ्य-व्यवस्थाक समस्या समाप्त नहि होयत। जँ डॉक्टरकेँ जिला अस्पताल वा सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्रमे आवश्यक उपकरण, प्रशिक्षित नर्सिंग टीम, दवाई, आवास, सुरक्षा, नियमित वेतन आ उच्च केन्द्रसँ परामर्शक सुविधा नहि भेटतनि तँ ओ ओतय टिकबाक लेल प्रेरित नहि होयताह। ताहि लेल अनुभव आधारित मान्यता कार्यक्रमकेँ नियुक्ति आ सेवा-शर्तसँ जोड़बाक आवश्यकता अछि। राज्य सरकार जँ कोनो डॉक्टरक प्रशिक्षण वा प्रमाणन लेल आर्थिक सहायता दैत अछि तँ निर्धारित अवधि धरि ग्रामीण वा जिला अस्पतालमे सेवा देबाक स्पष्ट समझौता कयल जा सकैत अछि। प्रमाणित डॉक्टर सभकेँ ओहि अस्पतालक रिक्त पद पर नियुक्त करबाक योजना बनय जतय हुनकर विशेषज्ञताक वास्तविक आवश्यकता अछि।
विश्व स्वास्थ्य संगठन (WHO) ग्रामीण आ दूरदराज क्षेत्रमे स्वास्थ्यकर्मी उपलब्ध करबाक लेल खाली अनिवार्य सेवा वा आर्थिक प्रोत्साहन पर निर्भर नहि रहबाक सलाह दैत अछि। ओकर 2021 केर दिशा-निर्देश ग्रामीण क्षेत्रमे प्रशिक्षणक अवसर, स्थानीय समुदायसँ जुड़ल शिक्षा, निरन्तर व्यावसायिक विकास, पदोन्नति आ करियरक स्पष्ट रास्ता, आर्थिक प्रोत्साहन आ पेशेवर आ व्यक्तिगत सहयोग-एहि सभकेँ एक संग लागू करबाक महत्व बतबैत अछि। अर्थात् ग्रामीण डॉक्टरकेँ खाली नियुक्त करब पर्याप्त नहि; हुनका सभकेँ नीक वातावरण, सीखबाक अवसर आ सम्मानजनक करियर सेहो देबाक चाही।
डिजिटल शिक्षा आ ऑनलाइन मूल्यांकन एहि प्रक्रिया मे उपयोगी भूमिका निभा सकैत अछि। दूरदराज जिला मे कार्यरत डॉक्टर सभ ऑनलाइन अध्ययन-सामग्री, वेबिनार, केस-चर्चा आ विशेषज्ञ परामर्श प्राप्त कऽ सकैत छथि। मुदा डिजिटल प्लेटफॉर्मकेँ एकमात्र समाधान नहि मानल जाए। इंटरनेट, उपकरण आ तकनीकी सहयोगक असमानता दूर करब सेहो आवश्यक अछि। परीक्षा आ मूल्यांकनक विश्वसनीयता कायम रखबाक लेल ऑनलाइन अध्ययनक संग प्रत्यक्ष नैदानिक परीक्षण अनिवार्य रहबाक चाही।
कार्यक्रम लागू करबाक व्यावहारिक बाट : सम्पादकीय एकर शुरुआत देशव्यापी स्तर पर एक्के बेर करबाक बदला सीमित पायलट कार्यक्रमसँ करबाक सुझाव दैत अछि। पहिने तीन सँ पाँच एहन विशेषज्ञता चुनल जाए जतय कमी बेसी अछि आ दू-तीन राज्यमे कार्यक्रम शुरू कयल जाए। एहि संग नव विकसित कौशलक एकटा प्रमाणन कार्यक्रम सेहो परीक्षणक तौर पर चलाओल जा सकैत अछि। NMC राष्ट्रीय मानक, पात्रता आ कार्यक्रम बन्द होयबाक निश्चित तिथि अधिसूचित करय; NBEMS परीक्षा, मूल्यांकनकर्ता सभक प्रशिक्षण आ डिजिटल प्लेटफॉर्मक व्यवस्था विकसित करय; राज्य सरकार पात्र उम्मीदवार आ वास्तविक रिक्त पद चिह्नित करय। चिकित्सा-पेशाक विभिन्न संघ-संगठन सेहो मानक तय करबाक प्रक्रिया मे शामिल रहथि।
प्रस्तावक एकटा महत्वपूर्ण पक्ष अछि जे ई रास्ता अधिकतम तीन वार्षिक परीक्षा-चक्र धरि खुलल रहय। एकर बाद नियमित पीजी प्रशिक्षणे विशेषज्ञता हासिल करबाक सामान्य बाट बनल रहय। जँ कार्यक्रम अनिश्चित काल धरि खुलल रहत तँ ई नियमित रेजिडेन्सी प्रशिक्षणक समानांतर स्थायी विकल्प बनि सकैत अछि आ मूल उद्देश्य कमजोर पड़ि जायत। समय-सीमा एहि कार्यक्रमकेँ वैधता देबाक एकटा आवश्यक शर्त थिक।
भारतक स्वास्थ्य-व्यवस्थाकेँ एक संग दूटा काज करबाक अछि-भविष्य लेल बेसी संख्या मे प्रशिक्षित विशेषज्ञ तैयार करब आ वर्तमानमे मरीजक सेवा दऽ रहल अनुभवी डॉक्टर सभक क्षमता आ योगदानकेँ उचित मान्यता देब। Grandfather Programme एहि दुनू आवश्यकताक बीच एकटा सेतु बनि सकैत अछि, मुदा तखनहि जखन एकर आधार वरिष्ठता वा सेवा-वर्ष नहि, बल्कि प्रमाणित दक्षता होय। नियमित स्नातकोत्तर प्रशिक्षण, कठोर परीक्षा, नैतिक जवाबदेही आ मरीजक सुरक्षा पर कोनो समझौता नहि होय।
चिकित्सा-व्यवस्थाक लक्ष्य खाली डिग्रीधारी डॉक्टरक संख्या बढ़ेनाइ नहि, बल्कि प्रत्येक नागरिक धरि समय पर गुणवत्तापूर्ण उपचार पहुँचेनाइ अछि। जँ कोनो अनुभवी डॉक्टरक कौशलक उचित आ निष्पक्ष मूल्यांकन कऽ ओकरा मान्यता देल जा सकैत अछि, तँ एहि संभावना पर गंभीरतापूर्वक विचार होयबाक चाही। संगहि, ग्रामीण क्षेत्रमे टिकबाक अनुकूल वातावरण, सम्मानजनक वेतन, करियरक अवसर आ पेशेवर सहयोग सुनिश्चित करबाक आवश्यकता अछि। अंततः एकटा मजबूत स्वास्थ्य-व्यवस्था ओहि दिन बनत, जखन प्रशिक्षण आ अनुभव दुनूकेँ महत्व देल जाए, मुदा हर निर्णयमे मरीजक सुरक्षा आ उपचारक गुणवत्ता सर्वोपरि रहय।
संदर्भ-सूची
1. Bajpai M, Sheth AC. Institutionalising the ‘Grandfather’ Programme for Augmenting Specialist Availability: Meeting Rapidly Evolving Skill-Enhancement Needs in Indian Healthcare. National Board of Examinations - Journal of Medical Sciences. 2026;4(11):1837-1841. DOI: 10.61770/NBEJMS.2026.v04.i11.001.
2. Ministry of Health and Family Welfare, Government of India. Health Dynamics of India (Infrastructure & Human Resources) 2022-23.
3. Press Information Bureau, Ministry of Health and Family Welfare. Update on Health Workforce Availability in Public Health Facilities. 10 February 2026.
4. American Board of Emergency Medicine / Emergency Medicine Residents’ Association. Residency Training, Practice Tracks, and Board Eligibility.
5. General Medical Council, UK. Portfolio Pathway for Specialist and GP Registration.
6. American Board of Internal Medicine. Hospice and Palliative Medicine Certification Policies.
7. National Medical Commission. Medical Institutions (Qualifications of Faculty) Regulations, 2025. Gazette of India, 30 June 2025
8. World Health Organization. WHO Guideline on Health Workforce Development, Attraction, Recruitment and Retention in Rural and Remote Areas. 2021.

