मंगलवार, 7 जुलाई 2026

किछु जोगिरा 2026

 


सोशल मीडिया कुरुक्षेत्र भेल, कीबोर्ड बनल तलवार,
सच आ झूठ के फर्क करब आब भ
गेल अछि दुश्वार।
ट्रेंडिंग में अछि देशभक्ति मुदा धरातल पर विभाजन

देश कोन मार्ग पर अछि बढ़ल कहु आंहू किछु राजन।  

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

जाति-धर्म केर आगि लगाबै, कीबोर्ड केर वीर,
टोला-गाँव भाईचारा टूटै हालत बड्ड गंभीर।
रोजी-रोटी छोड़ि बहस में, दिन भर होय हलाल
भागैत भूतक लंगोटक पाछा
अछि समाज बेहाल!

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

युवा कहै “रोजगार नै”, मुदा मेहनत से राखय दूरी,
समय बितै रील मे तखन शिकायत कोन मजबूरी?
कौशल सीखब छोड़ि क
सब, खोजै बस आराम

सूतल सूतल पाई बटोरी, एहने ताकय काम।

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

महँगाई दिन दूना बढ़ै, तनखा भेल अधमरु
रासन लैत फोन से पूछय कनिया कहू की करू?
पेट्रोल पंप पर मुस्की दैत अछि नेताजी के फोटो

टैक्सी बेच के चला रहल अछि गोपालजी आब टोटो।

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

वैज्ञानिक अछि जेल मे बंद बाहर घुमय रेपिस्ट

उधार ल चुकाबय भोलबा आई फोन केर किस्त ।

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

चुनाव से पहिले पोस्टर भरल “हम मिथिलाक संतान!”
टिकट बँटल तऽ चुप्पी गाढ़ल दल बनल भगवान।
मुद्दा कहाँ? एजेंडा कत्त? बस फोटो-परचार
क्रांतिकारी पर फेर से रहल मिथिला राज उधार! 

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

रोगी गाड़ी चढ़ि पटना जाय, दिल्ली करय सफर
मिथिला में सुपरस्पेशलिटी सपना बनल अमर।

दस वरष मे बनि ठाढ़ भेल एम्स दरभंगा केर गेट

मैथिल सभ लेल एखनों सभसँ बढि क हुनकर पेट।

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

मिथिला प्रेम केवल नारा नहि, संग होय जिम्मेदारी,
वोटिंग टाइम सवाल उठाबै,  वैह असली तैयारी।
मैथिली, मिथिला, संस्कृति, सब के हृदय से प्यार,
मुदा विकास, शिक्षा,स्वास्थ्य पर चाही खुलल पुकार।

जोगिरा सा रा रा रा रा… !

 

प्रणव कुमार झा मार्च 2026

 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें