मंगलवार, 16 जुलाई 2024

ऑडियोलॉजी आ स्पीच लेंग्वेज पैथोलॉजी: बारहमा के बाद जीवविज्ञान केर विद्यार्थी लेल करियर विकल्प

 

ऑडियोलॉजी स्पीच लेंग्वेज पैथोलॉजी: बारहमा के बाद जीवविज्ञान केर विद्यार्थी लेल करियर विकल्प

 

 

सब गोटे के प्रणाम। आई हम जीवविज्ञान विद्यार्थी के लेल 12मा के बाद एकटा एहन करियर विकल्प केर बात रहल छी जे बड्ड असंतृप्त(अनसेचुरेटेड) छैक जै मे रोजगार भेटबाक संभावना सौ प्रतिशत छैक। एकटा एहन कोर्स जकरा बाद अहाँ पच्चीस हजार से अढ़ाई लाख टाका महीना तक कमा सकै छी। एकटा एहन कोर्स जकरा बाद अहाँ नौकड़ी सकै छी, अपन क्लिनिक चला सकै छी कोनो मेडिकल कॉलेज में प्रोफ़ेसर/कंसल्टेंट सेहो बनि सकै छी। हम बात रहल छी ऑडियोलॉजी स्पीच लैंग्वेज पैथलॉजी के. जै विद्यार्थी सबहक चयन नीट के मार्फत एमबीबीएस कोर्स में नै पाबि रहल छैन, या जिनकर चयन एमबीबीएस के लेल प्राइवेट मेडिकल कॉलेज में रहल छैन जेकर महरग फ़ीस देबा मे सक्षम नै छैथ, आकि जे छात्र, मूक-वधिर रोगी सबहक सेवा इलाज के लेल बहुत उत्साहित छैथ क्षेत्र में करियर बनाब चाहैत छैथ हुनका लेल  एकटा बहुत नीक करियर विकल्प सकै अछि। 

 

ऑडियोलॉजी स्पीच लैंग्वेज पैथोलॉजी के पढ़ाई स्नातक स्तर पर संगे-संग होइत छैक स्नातकोत्तर/ पीएचडी लेवल पर अहाँ कोनो  एकटा क्षेत्र में शोध करैत छियई। स्नातक स्नातकोत्तर स्तर पर बीएएसएलपी एमएएसएलपी के नाम से जानल जाइत अछि। बीएएसएलपी/एमएएसएलपी कोर्स के बाद अहाँ श्रवण बाजाय से  सम्बंधित समस्या से ग्रसित रोगी सबहक जांच/इलाज सकय छी। यद्यपि कानूनी रुपे कोर्स के बाद अहाँ अपन नाम के आगा डॉक्टर नै लगा सकै छी। मुदा यदि अहाँ मे एकरा  बड्ड सेहंता अछि अहाँ पीएचडी के डॉक्टर सेलुटेशन सेहो लगा सकै छी।

 

ऑडियोलॉजिस्ट की करय छैथ:


·         ऑडियोलॉजिस्ट स्वास्थ्य प्रोफेशनल्स होइत छैथ जे तकनीक अपन कौशल केर उपयोग के  श्रवण(हियरिंग) सम्बन्धीत समस्या टिनिटस अन्य वधिरता समबन्धीत समस्या केर निदान में रोगी के सहायता करई छैथ।

·         स्पीच लेंग्वेज पैथोलॉजिस्ट बाजाय से समबन्धीत समस्या में रोगी के परामर्श दैत छैथ इलाज के मार्फत हुनकर समस्या केर निदान करई छैथ।   

·    रोगी सब के श्रवण वाक सम्बन्धीत स्वास्थ्य समस्या ओकर उचित निदान लेल परापर्श दैत छैथ।

·         मरीज के श्रवण सम्बन्धीत उपकरण केर आवश्यकता के जांच करय छैथ उचित श्रवण उपकरण केर प्रयोग लेल सुझाव दैत छैथ  उपकरण सब के फिट एवं प्रोग्राम करबाक काज करय छैथ

·         एनआईसीयू में  नवजात केर श्रवण बाजाय के क्षमता मॉनिटर करय मे उचित सहायता देबाक काज करय छैथ।

·         नाना प्रकार केर श्रवण सम्बन्धीत टेस्ट जेना Pure-Tone Testing,Speech Testing,Tests of the Middle Ear,Auditory Brainstem Response (ABR),Otoacoustic Emissions (OAEs),brainstem evoked response audiometry (BERA) आदि।

 

तरहें हम देखय छी जे ऑडिओलॉजी स्पीच लैंग्वेज पैथोलॉजी कोर्स के कोनो विद्यार्थी रोगी सबहक सेवा करबाक अपन सपना के पूरा सकय छैथ।  

 

रोजगार केर अवसर:

बीएएसएलपी/एमएएसएलपी कोर्स करबाक बाद अहाँ नाना तरहक सरकारी गैसरकारी संस्थान, रिहैबिलिटेशन सेंटर, यूनिसेफ, स्कुल-कॉलेज  आदि जगह पर काउंसेलर के रूप में नौकड़ी पाबि सकय छी। एकरा अलावा अहाँ मेडिकल कॉलेज, कॉर्पोरेट अस्पताल, ईएनटी, नवजात अस्पताल/क्लिनिक में काज पाबि सकय छी जत एकर खूब आवश्यकता होईत छैक। नै सब ठाम फ्रीलांसर सलाहकार के रूप में सेहो अपन सेवा सकय छी। बहुते रास फार्मास्युटिकल कंपनी जे श्रवण-बाजाय सम्बन्धीत यत्र बनबै छैथ सेहो  ऑडियोलॉजिस्ट पेशेवर सब के हायर करय छैथ। अहाँ उपर बतैल  जांच सलाह के लेल अप्पन स्वयं के क्लिनिक सेहो फ़ोलि सकय छी। अहाँ  1-2 लाखक छोट निवेश से सेहो अप्पन क्लिनिक फ़ोलि सकय छी। एमएएसएलपी/पीएचडी के बाद अहाँ के कोनो मेडिकल कॉलेज में असिस्टेंट प्रोफ़ेसर के काज सेहो भेंट सकय अछि अहाँ मेडिकल कॉलेज में पढ़ेबा सपना सेहो पूरा सकय छी

 

भारत केर मुकाबला मे यूरोप  अमेरिकन देश सब में ऑडियोलॉजिस्ट स्पीच लेंग्वेज पैथोलॉजिस्ट के कमाई बहुत बेसी छै, अतः महत्वाकांक्षी छात्र कोर्स के रोजगार लेल यूके,यूएस आदि देश जाक नीक कमा सकय छैथ

 

बीएएसएलपी/एमएएसएलपी प्रोग्राम कहाँ से करी मे प्रवेश केर प्रक्रिया:

बीएएसएलपी चारि वर्षक पाठ्यक्रम छैक जै मे चारिम वर्ष में आहाक इंटर्नशिप करबाक होइत छैक जै मे अहाँ के स्टाइपेंड भेंटनाई सेहो चालू जाइत छैक।  एमएसी(ऑडियोलॉजी/स्पीच लैंग्वेज पैथोलॉजी) या एमएएसएलपी वर्षक पाठ्यक्रम छैक जकरा  बाद अहाँ 3 वर्षक  पीएचडी (ऑडियोलॉजी/स्पीच लैंग्वेज पैथोलॉजी) सकय छी।

 

ऑडियोलॉजी स्पीच लैंग्वेज पैथोलॉजी पाठ्यक्रम में प्रवेश के लेल नाना संस्थान द्वारा प्रवेश परीक्षा केर आयोजन होइत छैक।  जागरूकता केर कमी दुआरे परीक्षा सब में चयनित भेनाई नीट के मुकाबले मे बड्ड हल्लुक छैक, बस अहाँ अपन एगारहमाबारहमा के पढ़ाई नीक से करी। किछु संस्थान बारहमा के मार्क्स के आधार पर सेहो प्रवेश दैत छैक। बीएएसएलपी/एमएएसएलपी के लेल किछु प्रमुख संस्थानक सूचि निच्चा देल जा रहल अछि जत से 700 से 5000 रु वार्षिक तक फ़ीस कोर्स कैल जा सकय अछि:

 

 

  • ऑल इंडिया इंस्टिट्यूट ऑफ़ स्पीच एन्ड हियरिंग मैसूर: ऑडियोलॉजी स्पीच लैंवेज पैथोलॉजी में भारतक नंबर एक संस्थान छैक विश्व में सेहो सातम स्थान रखय छैक। एतय ऑडियोलॉजी स्पीच लैंवेज पैथोलॉजी के सभटा पाठ्यक्रम उपलब्ध छैक
  • अली यावर जंग नेशनल इंस्टिट्यूट ऑफ़ स्पीच, हियरिंग एंड डिसएब्लिटीज मुंबई: देश केर दोसार बड़का सरकारी संस्थान छैक जतय से अहाँ कम फ़ीस में ऑडियोलॉजी स्पीच लैंवेज पैथोलॉजी के कोर्स सकय छी। एकर क्षेत्रीय संस्थान कलकत्ता सिकंदराबाद में सेहो पाठ्यक्रम उपलब्ध छैक।

 

  • पीजीआईएमआईर चंडीगढ़: स्वास्थ्य सेवा एवं शोध के लेल देश के उत्कृष्टम संस्थान में से एक संस्थान में 700 रु वार्षिक के बड्ड सस्ता फ़ीस में अहाँ बीएएसएलपी कोर्स सकय छी।

 

  • जवाहरलाल नेहरू इंस्टीट्यूट ऑफ पोस्ट ग्रेजुएट मेडिकल एजुकेशन एंड रिसर्च
  • जबलपुर मेडिकल कॉलेज
  • जेएनएम स्पीच एन्ड हियरिंग सेंटर, रायपुर
  • नेशनल इंस्टिट्यूट ऑफ़ स्पीच एन्ड हियरिंग
  • सीएमसी वेल्लोर

 

बंधुगन आशा करय छी जे जानकारी अपने के लेल उपयोगी हैत।  अहाँ के कोनो प्रश्न पुछबाक होय अथवा टिपण्णी करबाक होय  संपर्क सकय छी। इहो बताउ जे अपनेक लेख कहन लागल। की एकन लेख मैथिली पत्रिका मे एबाक चाहिए? नमस्कार।

 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें