किछ पाँति...जोगीरा..
------------------------------
29th March 2021
प्रोफेसर सब लात खाय अछि, विधायक सब घूंसा
जाति-धर्म में रंगल लोक के मगज में भरल भूसा
भाँग भेल सार्वजनिक पेय आ गाँजा सुखल नीशा
आ दारुक लेल बिहार में बाबू जैम क फेकियौ पैसा
भ्रष्ट समाज अछि, भ्रष्ट नेता अछि, भ्रष्ट पुलिस-अधिकारी
सभसँ बना के राखियौ बाबू, ककरो से जुनि बिगाड़ी
फगुआ खेलैथ बाबा-मैंय्या, फगुआ छौरा-छौड़ी
भाँग'क तरंग में गाबैत जोगीरा करैय उतरा चौरी
मोदीजी बंगाल जीतताह आ ममता बनती पीएम
अरविंदजी आब नाम मात्र के लागैय रहता सीएम
बानर'क हाथ मे देल जाओत आब लागैय अस्तुरा
अनट्रेंड बिहार पुलिस के भेँटत लगैय छूट पूरा
कोरोना आब साल पुरौलक, बड्ड विचित्र ई रोग
मिथिला में जानि कहिया फलत-फूलत उद्योग
कड़ुआ तेल डेढ़ सौ पार आ सौ के पार पेट्रोल
बौआ महंगाई में नै अछि सरकार'क कोनो रोल
हँसैत-खेलैत सब काटै जाउ अप्पन अप्पन दिन
बारी एला पर लगबै जैयौ सभ कियौ वैक्सीन
फगुआ आयल, फगुआ गेल, फगुआ चलिए गेल
जत' रही बस बना के राखियौ आपस मे सब मेल
जोगीरा सा रा रा रा रा
रा रा रा।
12th March 2017
मुक्त #जोगीरा
कोन गाछ टिकोर फरै अछि
कोन राज्य में बांग
के पीबै अछि ताड़ी-दारु
के पीबै अछि भांग
आम क गाछ टिकोर फरै अछि
महाराष्ट्र में बांग
भैरव पीबैथ ताड़ी-दारु
शिवजी पीबैथ भांग
जोगीरा सा रा रा रा...
कौने गाछी भूत रहै अछि,
कौने गाछी डाकू
कौन तंत्र में योद्धा देखलौं
कौन तंत्र में लडाकू?
गामक गाछी भूत रहै अछि,
बाहर क गाछी डाकू
राजतंत्र में योद्धा देखलौं,
लोकतंत्र मे लडाकू
जोगीरा सा रा रा रा......
मामा ताल ठोकि रहल छैथ
रुसल बैसल मामी
भांग पीबि के नाइच रहल छैथ
बौआ के नाना - नानी
जोगीरा सा रा रा रा......
मुखिया चाहि एहने जे
लूटै अप्पन गाम
लूट के माल पर ऐश करै जे
ओकरे बड़का नाम
जोगीरा सा रा रा रा......
लुक्करपन्ति काज, संग में
राखै अछि बंदूकधारी
मुखिया बैन के कहाबई अछि
ओ गामक अधिकारी
जोगीरा सा रा रा रा......
होली में हुड़दुंगा करै
गामक छोटका बड़का
बदाम क गाछ पर चढ़ि क नाइच
रहल अछि 'इयूपी के लड़का'
जोगीरा सा रा रा रा......
भांग पीबि, बौराय रहल अछि
सगरो अपन बिहार
लालू संगे खुलि क नाइच
रहल अछि नितीश कुमार
जोगीरा सा रा रा रा......
मिथिला में होरी खेल रहल
छथि सिया संग राम
अवध में नारा गूँजि रहल अछि
जय श्री राम
जोगीरा सा रा रा रा......
20th March 2019
नेता के गरियाबैत रहनाइ, एतबे रहि गेल काज
अरे नेता के गरियाबैत रहनाइ, एतबे रहि गेल काज
फ़ेसबुक पर बैसल-बैसल बनबि मिथिला राज
अरे हाय रे हाय रे हाय…..
सा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा
जोगीरा सा रा रा रा
वाह भाय वाह…वाह खिलाडी वाह…
बामा चललहुं, दक्षिण चललहुं, चललहुं तीरछा-आडी-२
बीच धार में डूबल नैया सबके बारी-बारी
फ़ेर देख देख रे…..
सा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा
जोगीरा सा रा रा रा
एक गांव में सात गो नेता, सातो बांचै जुमला
अरे एक गांव में सात गो नेता, सातो बांचै जुमला
पब्लिक बैसल झाइल बजाबै, मिडिया बजबै तबला
अरे हाय रे हाय रे हाय…..
सा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा
जोगीरा सा रा रा रा
वाह भाय वाह…वाह खिलाडी वाह…
21st March 2019
वृंदावन में राधा नाचे
होली खेले मोहन
देश के नामी बनियाँ कर रहे
संसाधन का दोहन
जोगीरा सा रा रा रा रा
साला आए,जीजी आई
अब आएंगे जीज्जा
मोदी जी मशरूम खाएँगे
ये खाएँगे पिज्जा
जोगीरा सा रा रा रा रा
भैंस के आगे बीन बजाए
भैंस करे पगुराई
साहब जी से प्रश्न करेंगे
किसकी शामत आई
जोगीरा सा रा रा रा रा
देश मे अब तो बन बैठा है
हर कोई चौकीदार
हर महफ़िल में थप्पड़ खाए
फिर भी केजरीवाल
जोगीरा सा रा रा रा रा
आडवाणी का पत्ता कट गया
संजय हैं नाराज
बेगूसराय में आएंगे क्या
अबकी सिंह बूड़िराज
जोगीरा सा रा रा रा रा
लंदन में गिरफ्तार हुआ हैं
चोरबा नीरव मोदी
नेताजी को देख के चढ़ गई
मीडिया उनके गोदी
जोगीरा सा रा रा रा रा
बेवजह की बहस का कर रहे
हर कोई सत्कार
शिक्षा और रोजगार तो हो जैसे
दूर के रिश्तेदार
जोगीरा सा रा रा रा रा
बुरा न मानो होली है।
3rd March 2017
किनका चाही आजादी आ किनका चाही राष्ट्र-२
केकरा चाही नौकड़ी-चाकरी, केकरा चाही घास?
जेएनयूआईट के चाही आजादी आ डीयू बला के राष्ट्र-२
एलएमएनयू बला के नौकड़ी-चाकरी आ गदहा के चाही घास !
फ़ेर देख देख रे…..
सा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा
जोगीरा सा रा रा रा
कत होय अछि नारियल-पानी कौन फ़ैक्ट्री में आलू-२
पाइनएपल के मतलब की अछि? के अछि सभसं चालू?
तटीय क्षेत्र में नारियल-पानी, खेत मे उपजै आलू-२
पाइनएपल के मतलब अजनास आ नेतवा अछि सभसं चालू
अरे हाय रे हाय रे हाय…….
सा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा
जोगीरा सा रा रा रा
किनका खातिर परमोशन बा, किनका लेल इमोशन-2
किनका भाए सुखल भाषण, किनका चाहे राशन?
चमचा खातिर परमोशन बा, जनता लेल इमोशन-2
पेट भरल के सुखल भाषण, भूखल चाहे राशन!
अरे हाय रे हाय रे हाय.....
सा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा रा
#जोगीरा सा
रा रा रा
No comments:
Post a Comment