Thursday 20 May 2021

बकर-बकर .... अक्षर ज्ञान

 

अ-----आ
नानी गाम के द' आ
इ------ई
देखबई टीवी
उ---------ऊ
कुकुर जेकाँ भुंकू
ए---------ऐ
भोज खै ले जेबै
ओ------औ
बदमाशी करबही त मारबौ
अं--------अः
नीक-नीक बात कह 



क से कौआ उड़ई आकाश
ख से खरहा खाय अछि घास
ग से गमला मे रोपु गाछ
घ से घर के राखू साफ
ड. ----------खाली


च से चिड़ई खाय अछि दाना

छ से छाता आनलइथ नाना

ज से जटायु बहुत महान

झ से झण्डा के राखियौ मान


ट से टमाटर लाल लाल

ठ से ठेला हाट-बाजार

ड डोका नदी किनार

ढ से ढ़ोल'क सुनियौ नाद

ण---------------खाली


त से तबला बाजै छै

थ से थर्मस मे जल छै

द से दुकान मे बिकई समान

ध से धनुष से लागई निशान

न से नल... भरियौ जल


प से पढ़ाई बहुत जरूरी

फ से फल भगबई कमजोरी

ब से बत्तक टहलई य

भ से भानस बनई य

म से मरबा पर............... बइसल परबा


य से यज्ञ करई छैथ साधू

र से रथ पर बुलि के आबू

ल से लत्ती चतरल छै

व से वसुधा सबहक घर छै

श से शंकर बम महादेव

ष से षटकोण फेर बना दे

स से सड़क पर गाड़ी चलै

ह से हिरण सीता जी के छलै


क्ष से क्षत्रिय युद्ध करई छै

त्र से त्रिशूल महादेव लग छै

ज्ञ से ज्ञानी के सभठाम पूछ होई छै