Tuesday 6 May 2014

एकटा भगवती गीत (भाष:तेरे बिन नै लगदा दिल मेरा ढोलना)




















माँ भगवती .....सुनु दीनक विनती
एना जुनि बिसरू अहाँ माँ ..

अम्बे माँ ........दुर्गा माँ........-2
माँ त्रिलोचना अहाँ दर्शन दियौ माँ..
माँ अहाँ बिन
माँ अहाँ बिन हम्मर नै अछि कोनो गति-4

कि कहु माँ महिमा अहाँक
अहिं सं व्याप्त सगर जगत्
अहिं में लिप्त भेलै माँ-2

माँ रुसल छि किये, अहाँ बैसल छि कहाँ?
पुत्र हम छि अहींक जुनि बिसरियौ अहाँ
माँ अहाँ बिन
माँ अहाँ बिन हम्मर नै अछि कोनो गति-2

लाले लाले चुनैर ओढने
माथ मुकुट शोभा बढबै
नव नव शस्त्र धेने कर में-2

इ मनोरम छवि, लागै पूर्ण प्रकृति
माँ 'प्रणव' क रहल अछि अहींक स्तुति

माँ अहाँ बिन
माँ अहाँ बिन हम्मर नै अछि कोनो गति-2

अम्बे माँ ........दुर्गा माँ........-2
माँ त्रिलोचना अहाँ दर्शन दियौ माँ..
माँ अहाँ बिन
माँ अहाँ बिन हम्मर नै अछि कोनो गति-4
(6 मई 2005)

No comments:

Post a Comment