Thursday 26 March 2015

मैट्रीक परीक्षा (लय: तालों में नैनीताल...)

बौआ के काज छै पढ़ाई आ नै  की घुमैया
पढ़ाई काल में नहीं बाबू ने भैया

एक्जाम नजदीक एलौ रे
पढ़ाई के घडी छौ
सब एतबे कहतो रे
पढ़ाई सब से पैघ छै

परीक्षा में बोर्ड परीक्षा
बाँकी अपन इक्षा...
आबै एहि बात पर करै छी पढ़ैया


बौआ के काज छै पढ़ाई आ नै  की घुमैया
पढ़ाई काल में नहीं बाबू ने भैया

महावीर गोहरैला से आब काज नै चलतौ
कबुलो केला से नै मार्ग सुधरतौ
परीक्षा में नक़ल के आस, सेहो हेतौ बलैया
पढ़ाई काल में नहीं बाबू ने भैया ...


बौआ के काज छै पढ़ाई आ नै  की घुमैया
पढ़ाई काल में नहीं बाबू ने भैया

एटम बम सेहो बस पासे करेतौ
गेस पेपर सब सेहो बस नम्बरे दिएतौ
ज्ञानक लेल करही टेक्स्ट बुक के पढ़ैया...
पढ़ाई काल में नहीं बाबू ने भैया ...


बौआ के काज छै पढ़ाई आ नै  की घुमैया
पढ़ाई काल में नहीं बाबू ने भैया

- 02.10.2000

2 comments: